साक्षरता कऽ अर्थ अछि साक्षर होनाए अर्थात पढए आ लिखैक क्षमतासँ सम्पन्न होनाए ।[१] अलग अलग देशसभमे साक्षरता निकालैक लेल भिन्न भिन्न मानक अछि । नेपाल सरकार शिक्षा तथा खेलकुद मन्त्रालयद्वारा जारी कएल गेल एक प्रतिवेदन अनुसार यदि कोनो व्यक्ति अपन नाम लिखैमे आ पढमे सक्षम अछि तँ ओकरा साक्षर मानल जाइत ।[२] सन् २०११ मे भेल नेपालक जनगणना अनुसार नेपालक साक्षरता दर ६५.९ प्रतिशत अछि ।[३][४]
कोनो देश अथवा राज्यक साक्षरता दर ओतय रहल कुल लोकक जनसङ्ख्या या पढ़ल लिखल लोकक अनुपातके कहल जाइत अछि । अधिकांश ई प्रतिशतमे दर्शायल जाइत अछि । मुदा कखनो कखनो ई प्रति-कोटि (प्रति हजार पर) सेहो दर्शायल जाइत अछि ।
एकर गणितीय सुत्र अछि:
साक्षरता दर प्रतिशत = शिक्षित जनसङ्ख्या/कुल जनसङ्ख्या×१००
अर्थात प्रति सौ लोकसभमे कतेक लोक साक्षर अछि ।