म्यानह्याटन
Manhattan न्यू योर्क काउन्टी | ||
---|---|---|
न्यू योर्कक उपनगर | ||
नामकरण: लेनेप: मन्ना-हाटा (अनगिन्ती पहाड़क टापु) | ||
उपनाम: द सिटी[१] | ||
निर्देशाङ्क: ४०°४३′४२″उ॰ ७३°५९′३९″प॰ / ४०.७२८३३°N ७३.९९४१७°W | ||
Country | United States | |
राज्य | New York | |
काउन्टी | न्यू योर्क (Coterminous) | |
शहर | आकृति:Country data New York City | |
स्थापना | १६२४ | |
सरकार | ||
• प्रकार | Borough (New York City) | |
• Borough President | Gale Brewer (D) — (Borough of Manhattan) | |
• District Attorney | Cyrus Vance Jr. (D) — (New York County) | |
क्षेत्रफल | ||
• कुल | ३३.५८ वर्गमाइल (८७�० किमी२) | |
• जमीन | २२.८३ वर्गमाइल (५९.१ किमी२) | |
• पानी | १०.७६ वर्गमाइल (२७.९ किमी२) ३२% | |
जनसङ्ख्या (२०१६) | ||
• कुल | १६,४३,७३४[२] | |
• घनत्व | ७१,९९८.९/वर्ग माइल (२७७९८.९/वर्ग किमी) | |
• मूलवासी नाम | म्यानह्याटनाइट | |
समय क्षेत्र | युटिसी−०५:०० (इएसटी) | |
• ग्रीष्म (डिएसटी) | युटिसी−०४:०० (इडिटी) | |
जिप कोड | 100xx, 101xx | |
क्षेत्रीय कोड | २१२/६४६/३३२, ९१७ [lower-alpha १] | |
वेबसाइट | म्यानह्याटन नगर अध्यक्ष |
म्यानह्याटन (/mænˈhætən, mən-/) न्यू योर्क शहरक एक नगर छी । हडसन नदीक तट पर मुख्य रूपसँ म्यानह्याटन द्वीप पर स्थित, ई नगरक सीमा न्यू योर्क राज्यक न्यू योर्क प्रान्त नामक एक मूल प्रान्तक सीमाक समान अछि । एहिमे म्यानह्याटन द्वीप आ बहुत छोट-छोट समीपवर्ती द्वीप: रूजवेल्ट द्वीप, रन्डाल्स द्वीप, वार्ड्स द्वीप, गवर्नर्स द्वीप, लिबर्टी द्वीप, एलिस द्वीप[४] कऽ भाग, तथा यु थान्ट द्वीपक संग-संगे मार्बल हिल नामक ब्रोन्क्सक समिप मुख्य भूमिकें एक छोट भाग शामिल अछि । न्यू योर्कक मूल शहरक आरम्भ म्यानह्याटनक दक्षिणी छोर पर छल आ वर्ष १८९८ मे लगपासक प्रान्तसभ शामिल भेलाक कारण एकर विस्तार भेल छल । ई पाँच नगरसभमे सभसँ छोट मुदा सभसँ अधिक नगरीकृत नगर छी ।
न्यू योर्क प्रान्त, संयुक्त राज्य अमेरिकाक सभसँ अधिक जनसङ्ख्या भेल प्रान्त छी आ संगे ई दुनियाक सभसँ बेसी घनत्व भेल जनसङ्ख्या भेल क्षेत्रसभमे सँ एक छी, जतय वर्ष २००८ मे जनसङ्ख्या १६,३४,७९५[५] छल जकर निवास क्षेत्र २२.९६ वर्ग माइल (५९.४७ वर्ग किलोमिटर) छल, अर्थात एतय रहल जनसङ्ख्याक घनत्व ७१,२०१ व्यक्ति प्रति वर्ग माइल (२७,४८५ प्रति वर्ग किलोमिटर) छल । ई संयुक्त राज्य अमेरिकाक सभसँ धनीक प्रान्तसभमे सँ एक छी जतय वर्ष २००५ कऽ सर्वेक्षणक अनुसार निजी आय प्रति व्यक्ति १,००,००० डलरसँ अधिक छल ।[६] जनसङ्ख्याक आधारमे म्यानह्याटन न्यू योर्कक पाँच नगरसभमे सँ तेसर सभसँ पैग नगर छी ।
म्यानह्याटन संयुक्त राज्य अमेरिका आ दुनिया दुनूकें एक प्रमुख वाणिज्यिक, वित्तीय आ सांस्कृतिक केन्द्र छी ।[७][८][९] संयुक्त राज्य अमेरिकाक बहुतो पैग रेडियो, टेलिभिजन आ दूरसञ्चार कम्पनीसभ एहि ठाम अवस्थित अछि आर एकर संग-संगे बहुतो समाचार, पत्रिका, किताब आ अन्य मिडिया प्रकाशकसभ सेहो एहि ठाम रहल अछि । म्यानह्याटनमे बहुतो प्रसिद्ध स्थल, पर्यटन आकर्षण केन्द्र, सङ्ग्रहालय आ विश्वविद्यालय अछि । ई संयुक्त राष्ट्रक मुख्यालयसभक गृह सेहो छी । संयुक्त राज्य अमेरिकाक सभसँ पैग केन्द्रीय व्यावसायिक जिला म्यानह्याटनमे अवस्थित अछि, न्यू योर्क स्टक एक्सचेञ्ज आ एनएएसडिक्यु, दुनूकें कार्यस्थल अछि आ देशक सभसँ अधिक निगमित मुख्यालयसभक गृह अछि ।[१०] ई न्यू योर्क शहर आ न्यू योर्क महानगरीय क्षेत्रक केन्द्र छी आ शहरक सरकारक पद तथा क्षेत्रक बहुत पैग भागकें रोजगार, व्यवसाय, आ मनोरञ्जन गतिविधिसभक पोषक स्थल छी । परिणामस्वरूप, न्यू योर्क शहरक अन्य नगरसभ, जेना - ब्रुकलाइन आ क्विन्सक निवासी अत्यधिक म्यानह्याटनक यात्राकें शहरक यात्रा कऽ रूपमे सन्दर्भित करैत अछि ।[११]
म्यानह्याटन नामक शब्द मन्ना-हाटा सँ व्युत्पन्न भेल अछि जे रबर्ट जुएट नामक हेनरी हडसनक नाव हाल्व म्यान (अर्द्धचन्द्र)क एक अधिकारिक वर्ष १६०९ कऽ रोजनामचामे लिखल गेल छल ।[१२] वर्ष सन् १६१० कऽ एक मानचित्र मरिसस नदी (बादमे हडसन नदी नाम देल गेल)कऽ पश्चिम आ पूर्व दुनु दिस, दु ठाम म्यानह्याटन नाम दर्शाबैत अछि । शब्द म्यानह्याटन कऽ अनुवाद लेनेप भाषाक अनुसार बहुतो पहाडीसभक द्वीप कऽ रूपमे कएल गेल अछि ।[१३]
उत्तर एहि मानचित्रमे दहिना बगल अछि ।]] जे क्षेत्र एखन म्यानह्याट अछि, ओही ठाम लम्बा समयसँ लेनेपक निवास छल । १५२४ मे, डोङ्गी सभमे किछ लेनेप फ्लोरेन्सवासी गियोवानी डा वेर्राजनो सँ मिलल छल, जे न्यू योर्क बन्दरगाह दिससँ जेनिहार पहिल यूरोपीय अन्वेषक छल, मुदा ओ नैरोजक पछिला बन्दरगाहमे प्रवेश नै करि सकल.[१४] हेनरी हडसनक यात्रा धरि ई क्षेत्रक मानचित्र नै छल, जे डच ईस्ट इन्डिया कम्पनीक लेल काम करनिहार एक अङ्ग्रेज छल ।[१५] हडसन अपन यात्राक समय १६०९ मे म्यानह्याट द्वीप आ ओहि ठाम रहनिहार देशी लोगसभक लग पहुँचल आ नदी, जकर नाम बादमे हुनकर नाम पर हडसन नदी रहल गेल ।
१७६५ मे न्यू योर्क शहरमे ब्रिटिश शासनक सङ्गठित औपनिवेशिक विपक्ष अर्थात् तेरह उपनिवेश सभक स्टैम्प एक्ट काँग्रेस प्रतिनिधिसभक एक पूर्व पीठिका कs आयोजन कएल गेल। काँग्रेस द्वारा परिणामस्वरूप अधिकार आ शिकायतक घोषणा प्रस्तुत कएल गेल जे "प्रतिनिधित्वक बिना कोनो कराधान नै" कs नामसँ लोकप्रिय अवधारणा पर जोर देबsक लेल बहु उपनिवेशसभक एक प्रतिनिधि मन्डलक पहिल दस्तावेज छल। एहन सेहो पहिल बेर भेल छल जखन उपनिवेशसभ द्वारा एक एकीकृत राजनीतिक उद्देश्यक लेल सहयोग देनए छल आ कन्टिनेन्टल काँग्रेसक शुरुवात भेल जकर बहुत बर्षक बाद अनुशरण कएल गेल ।
न्यू योर्क एकटा आर्थिक केन्द्रक रूपमे अगाड़ी आएल, एकर पहिल कारण प्रथम कोष सचिवक रूपमे अलेक्जेन्डर हयामिल्टनक नीतिसभ आ प्रणालिसभ छल आर दोसर कारण १८२५ मे एरी सुरङ्गक उद्घाटन छल, जहिमे अटलान्टिक बन्दरगाह कs मध्य-पश्चिमी संयुक्त राज्य अमेरिका आ क्यान्डाक विशाल कृषिगत बाजारसभ सँ जोड़ि देलक ।
न्यू योर्क शहर उपमार्गक निर्माण, जकर उद्घाटन १९०४मे भेल छल, ब्रूकलीनक अतिरिक्त तटसभक जका न्यू योर्क शहर कs एक-साथ बाधsमे मद्दत केलक ।[१६]
११ सितम्बर २००१ कऽ विमान अपहरण कएल गेल आ ओहिसँ वर्ल्ड ट्रेड सेन्टरक दुटा टावरसभ कऽ टक्कर मारि गेल जहिमे ३००० सँ अधिक लोगसभक मृत्यु भऽ गेल छल । वर्ल्ड ट्रेड सेन्टर ७क संग-संगे ई दुनु टावर सेहो ध्वस्त भऽ गेल, जहिमे आगि लागलाक कारणसँ एहिक ढहिसँ पहिने एकरा खाली कराऽ देल गेल छल ।
चलचित्र आ टीवी श्रृङ्खलाक एक स्थलक रूपमे अपन लोकप्रियताक कारण आधुनिक न्यू योर्क शहर सँ दुनिया भरिक बहुतो लोगसभ परिचित अछि । उल्लेखनीय टीवी उदाहरणसभमे किछ पुरस्कार प्राप्त केनिहार कार्यक्रम, जेनाकी - फ्रेन्ड्स, ३० रक, CSI: NY, सीनफेल्ड, एनवाईपीडी (NYPD) ब्लू, ल एण्ड अर्डर, विल एण्ड ग्रेस, स्पिन सिटी, गसिप गर्ल आर सेक्स एण्ड द सिटी, समाबेश अछि । उल्लेखनीय चलचित्र उदाहरणसभमे मिरेकल अन 34थ स्ट्रीट, घोस्टबस्टर्स, ग्रेम्लिङ्स २, आईज वाइड शट, Home Alone 2: Lost in New York, क्लोवरफील्ड आर वूडी एलेनक चलचित्रमे सँ बहुतो चलचित्र, जेनाकि - एनी हल, बनानाज आर म्यानह्याटन, समाबेश अछि ।
म्यानह्याटनक निर्बाध रूपसँ डाउनटाउन, मिडटाउन आ अपटाउनमे विभाजित कएल गेल जकर संग-संगे फिफ्थ एवेन्यू, म्यानह्याटन कऽ एकर ईस्ट साइड आ वेस्ट साइडमे विभाजित करैत अछि । म्यानह्याटन द्वीप पश्चिममे हडसन नदी सँ आ पूर्वमे ईस्ट नदी सँ घेरल अछि । उत्तरमे हार्लेम नदी, म्यानह्याटनक ब्रोक्स सँ आर संयुक्त राज्य अमेरिका की मुख्य भूमिसँ अलग करैत अछि । बहुतो छोट-छोट द्वीप सेहो म्यानह्याटन नगरक भू-भाग छी, जहिमे रन्डाल्स द्वीप, वार्ड्स द्वीप आर ईस्ट नदीक रूजवेल्ट द्वीप, तथा न्यूयॉर्क बन्दरगाहक दक्षिणमे गवर्नर्स द्वीप आ लिबर्टी द्वीप शम्म्लित अछि ।[१७]
म्यानह्याटनक बहुतो पड़ोसी क्षेत्रसभक नामकरण कोनो विशेष परम्पराक अनुसार नै भेल अछि । किछक वर्णन भौगोलिक दृष्टि सँ (अपर ईस्ट साइड), या जातीयताक दृष्टि सँ (चाइनाटाउन) कएल जाइत अछि । आर आदिवर्णिक शब्द छी, जनाकी - ट्राइ-बे-का ("TRIangle BElow CAnal Street" अर्थात् "नहरक सड़क कऽ नीचाक त्रिभुज" क आदिवर्णिक रूप) या सो-हो (""SOuth of HOuston" अर्थात्् हाउस्टिनक दक्षिणी क्षेत्र), या हालक विशिष्ट क्षेत्र नो-ल-इटा ("NOrth of Little ITaly" अर्थात् लघु इटलीक उत्तरी क्षेत्र).[१८]
हालांकि म्यानह्याटन ४१°उ कऽ अगल-बगल अवस्थित अछि, मुदा एहीठाम नम उपोष्णकटिबन्धीय जलवायु (कोप्पेन वर्गीकरण सीएफ़ए) पाओल जाइत अछि।[१९] शहरक तटीय स्थिति जाड़क समयमे तापमानक अन्तर्देशीय क्षेत्रसभक तुलनामे अपेक्षाकृत गर्म रहैत अछि आ बर्फक मात्राक सामान्य बनाकऽ राखमे मदद करैत अछि जकर वार्षिक औसत २५ सँ ३५ इन्च (६३.५ सँ ८८.९ सेमी) अछि।[१९] न्यू योर्क शहर मौसमी ठण्डाक काल औसत रुपसँ २२० दिन धरि तुषार-मुक्त रहित अछि।[१९] न्यू योर्क शहरमे वसन्त आ पतझड़क मौसम सौम्य होइत अछि, लेकिन गर्मिक मौसम बहुत गरम् आ आर्द्र होइत अछि आ एही मौसमक काल १८ सँ २५ दिन धरि दर्ज कएल गेल तापमानक मात्रा औसतन ९०°फा (32°सँ) या ओहुसँ अधिक अछि ।[१९] शहरक दीर्घकालिक जलवायु स्वरुप, अटलान्टिक मल्टीडिकेडल असिलेशन (अटलान्टिक बहु-दशकीय दोलन) सँ प्रभावित अछि, जे अटलान्टिकक एक ७०-वर्षीय उष्मोत्पादक आ शीतलन चक्र छी जे क्षेत्रमे बिहाड़ि आ तटीय तूफानक आवृत्ति आ तीव्रताक प्रभावित करैत अछि ।[२०]
१८९८ मे न्यू योर्क शहरक समेकनक बादसँ म्यानह्याटन कs न्यू योर्क शहरक चार्टर द्वारा नियन्त्रित कएल जाइत अछि, जहिसँ १९८९ मे एहिक संशोधनक बादसँ एक शसक्त मेयर-परिषद् तन्त्रक व्यवस्था केनए अछि ।[२१] न्यू योर्क शहरक केन्द्रीकृत सरकार म्यानह्याटनमे सार्वजनिक शिक्षा, सुधारक संस्थानसभ, पुस्तकालयसभ, सार्वजनिक सुरक्षा, मनोरञ्जनक सुविधासभ, स्वच्छता, जल आपूर्ति आ कल्याण सेवासभक लेल उत्तरदायी अछि ।
बहुतो सार्वजनिक कार्यालयसभमे डेमोक्रेटिक पार्टीक अधिकार अछि । नगरमे पञ्जीकृत रिपब्लिकनसभक सङ्ख्या बहुत कम अछि जेकी निर्वाचक-मन्डलक मात्र लगभग १२% गठन करैत अछि । पञ्जीकृत रिपब्लिकनसभक सङ्ख्या केवल अपर ईस्ट साइड आ फाइनेन्सियल जिलाक पड़ोसीमे निर्वाचक-मन्डलक २०% सँ अधिक अछि । एकटा पार्टीमे पञ्जीकृत लोग सभमेसँ ६६.१% पर डेमोक्रेटसभक अधिकार अछि । मतदातासभमे सँ २१.९% मतदाता असम्बद्ध (निर्दलीय) होइत छल ।[२२]
म्यानह्याटनक चारि काँग्रेसी जिलामे विभाजित कएल गेल अछि, जहिमेसँ सभ जिलाक प्रतिनिधित्व डेमोक्रेटसभ द्वारा कएल जाइत अछि ।
संयुक्त राज्य अमेरिका डाक सेवा म्यानह्याटनक डाकघरसभक परिचालन करैत अछि । मिडटाउन म्यानह्याटनक जेम्स ए. फर्ले डाकघर, न्यू योर्क शहरक मुख्य डाकघर छी ।[२३]
ई 31स्ट स्ट्रीट आ 33र्ड स्ट्रीटक बीच ४२१ ऐट्थ एवेन्यू पर अवस्थित अछि ।
डाकघर द्वारा मेल यातायात कम भेलाक कारण ९ मई २००९ सँ २४ घन्टाक निरन्तर सेवा प्रदान केनाए बन्द करि देलक । [२४]
१९अम सताब्दीक मध्य शुरूमे, अपन मातृभूमिक गरीबी सँ बचाबsक चाह राखनिहार आप्रवासिसभक लेल संयुक्त राज्य अमेरिका एक चुम्बक बनि गेल । न्यू योर्कमे पहुँचलाक बाद, बहुतो नवाङगतुकसभ द्वारा ब्रडवे आ बोवरीक बीचक क्षेत्र आर न्यू योर्क सिटी हलक उत्तर-पूर्वमे स्थित फाइव पवाइन्ट्स पड़ोसीक बस्तिसभक मैलामे अपन कदम चालि देलक । १८२० कs दशक धरि ई क्षेत्र बहुतो जुवाक अड्डा आ "हाउसेस अफ इल रिप्यूट" (बदनाम मकान)क केन्द्र छल आ एकरा खतरनाक जगहक रूपमे जानल जाइत छल जहिठाम जेलासँ लोग डराइत छल । १८४२ मे, चार्ल्स डिकेन्स द्वारा क्षेत्रक दौरा भेल आ ओहिक रहन-सहनक भयानक दुर्दशा देखिक चकित रहि गेल ।[२५] ई क्षेत्र एतेक कुख्यात छल कि ई अब्राहम लिंकनक सेहो ध्यान खिचि लेनए छल, जिनका द्वारा १८६० मे अपन कूपर यूनियन एड्रेससँ पहिने एहि क्षेत्रक दौरा केनए छल ।[२६] मुख्य रूपसँ आयरिश फाइव पाइन्ट्स ग्याङ्ग देशक प्रथम प्रमुख सङ्गठित अपराध संस्थासभमे सँ एक छल ।
{{cite web}}
: Unknown parameter |dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)
{{cite web}}
: Unknown parameter |dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)
{{cite web}}
: Unknown parameter |dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)
विकिमिडिया कमन्समे म्यानह्याटनसँ सम्बन्धित मिडिया अछि।आकृति:Preview warning |
विकियात्रामे म्यानह्याटनसँ सम्बन्धित यात्रा वृतान्त उपलब्ध अछि। |